|| बेदी तरे में आहाँ के निहारि लेने छी ||
बेदी तरे में आहाँ के निहारि लेने छी ।
हम ने बाजब से मोन में बिचारि लेने छी ।।
छींट कुर्ता ई कनिको की ठीक लगैया
केश मौगी सन बाजू की नीक लगैया
भेष नटुआ के सबटा उतारि लेने छी
हमनै बाजब.............
बात होइया आहाँक सब तोरल जेकाँ
मोन भाँगक नशा में अइ घोरल जेकाँ
जेना लागैया लाज के बहारि लेने छी
हमनै बाजब.............
आहाँ निरलज्ज छी , लोक हमरा कहत
"रमण" दाम्पत्य जीवन सुखी नै रहत
ओना बाबूक केलहा अबधारि लेने छी
हम नै बाजब से मोन में बिचारि लेने छी
गीतकार
रेवती रमण झा "रमण"
फोन - 09997313751
बेदी तरे में आहाँ के निहारि लेने छी ।
हम ने बाजब से मोन में बिचारि लेने छी ।।
छींट कुर्ता ई कनिको की ठीक लगैया
केश मौगी सन बाजू की नीक लगैया
भेष नटुआ के सबटा उतारि लेने छी
हमनै बाजब.............
बात होइया आहाँक सब तोरल जेकाँ
मोन भाँगक नशा में अइ घोरल जेकाँ
जेना लागैया लाज के बहारि लेने छी
हमनै बाजब.............
आहाँ निरलज्ज छी , लोक हमरा कहत
"रमण" दाम्पत्य जीवन सुखी नै रहत
ओना बाबूक केलहा अबधारि लेने छी
हम नै बाजब से मोन में बिचारि लेने छी
गीतकार
रेवती रमण झा "रमण"
फोन - 09997313751
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें