|| सीता जनम वियोगे गेल ||
सीता जनम वियोगे गेल ।
दुख छोरि, सुख कहियो नै भेल ।।
सीता जनम...
शिव धनु विचलित पाबि जनक
वसुधा बेटी के जानल
ओहि आदि शक्त्ति के कैल नमन
मिथिलाक धिया के पहचानल
प्रण जनक लेल धनु भंग सबल
सब, हीय हर्सित भय गेल ।।
सीता जनम...
चौदह वरस राम वन गवनहुँ
संगहि जनक दुलारी
दुखक बादल वरसि गेल चहुँ
विपति अयोध्या भारी
काल चक्र अखनो नै छोरलक
रावण सीता हरि लेल ।।
सीता जनम...
वन अशोक शोक बिच सीता
जीवितहि बुझू मरि गेल
पुरुषोत्तम पिया पाबि धनुधर्र
विपति थोर नै भेल
सुख वारिध दुहुँ कमल नयन सं
अश्रु बिन्दु बहिगेल ।।
सीता जनम...
सीता जखन एली लंका सं
तखनहुँ काल नै गेल
गर्भावती सती सीता पर
वर अनुचित सन भेल
फाटल वसुधा सीया समयली
"रमण" जनम जरि गेल ।।
सीता जनम...
गीतकार
रेवती रमण झा "रमण"
Mob - 09997313751
सीता जनम वियोगे गेल ।
दुख छोरि, सुख कहियो नै भेल ।।
सीता जनम...
शिव धनु विचलित पाबि जनक
वसुधा बेटी के जानल
ओहि आदि शक्त्ति के कैल नमन
मिथिलाक धिया के पहचानल
प्रण जनक लेल धनु भंग सबल
सब, हीय हर्सित भय गेल ।।
सीता जनम...
चौदह वरस राम वन गवनहुँ
संगहि जनक दुलारी
दुखक बादल वरसि गेल चहुँ
विपति अयोध्या भारी
काल चक्र अखनो नै छोरलक
रावण सीता हरि लेल ।।
सीता जनम...
वन अशोक शोक बिच सीता
जीवितहि बुझू मरि गेल
पुरुषोत्तम पिया पाबि धनुधर्र
विपति थोर नै भेल
सुख वारिध दुहुँ कमल नयन सं
अश्रु बिन्दु बहिगेल ।।
सीता जनम...
सीता जखन एली लंका सं
तखनहुँ काल नै गेल
गर्भावती सती सीता पर
वर अनुचित सन भेल
फाटल वसुधा सीया समयली
"रमण" जनम जरि गेल ।।
सीता जनम...
गीतकार
रेवती रमण झा "रमण"
Mob - 09997313751
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें