फागुन में पियाक आगमन
सखी भाग्य हमर आइ वर जोर अछि
आयल पहूँ मोर अछि ना ।।
आँखि काजर केलौ
केश बान्हि लेलौ
हमर रंगल ई देखे दुनू ठोर अछि ।
आयल पहुँमोर अछि ना ।।
लयलनि साडी पटोर
पहिर पहूँ गेलौ कोर
जेना मानि लीय पहुँ लरिकोर अछि ।
आयल पहूँ मोर अछि ना ।।
रचि सोलह श्रृंगार
रूप आनल बहार
दिल दरिया में आयल हिलकोर अछि ।
आयल पहूँ मोर अछि ना ।।
यौवन हाथ लेलैन
पहूँ बात केलैन
सदा सदिखन चूमैत दुनू ठोर अछि ।
आयल पहूँ मोर अछि ना ।।
रंग लाले गुलाल
गे मसलि देल गाल
"रमण" नाचि रहल मन मोर अछि ।
आयल पहूँ मोर अछि ना ।।
गीतकार
रेवती रमण झा "रमण"
mo- 9997313751
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें