dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

रविवार, 2 अगस्त 2015

अपन ह्रदय के आकश बनाऊ
बंद करू,
एक दोसर के,
प्रताड़ित करव,
अपन अहँकार स,
एक दोसर के झरकैब,
याद राखु,
अंततः अहाँ ,
स्वयं के दुखी करैत छी,
कोणठा  में नुका-नुका कनै छी,
मरल मूस के कतवो झापव,
दुर्गध घेरवे टा करत,
ओही स्मृति पर नै इतराउ,
जे अहाँक खुशी के ग्रसने अई,
"बिसरू" अ खुद के सुखी करू,
एक टा बात पुछू ?
खिसियाब त नै ?
कहीं अहाँ भीतर स डेरैल त नै छी,
अपने बात में हेरैल त नै छी,
अपने अइन ओझरैल त नै छी,
कहीं अपने व्यवहार स अशांत त नै छी,
लोक पर त जादू चला लेब,
मुदा भीतर के शर्मिंदगी स केना बचव,
खाली करू स्वयं के भीतर स,
साफ करू स्वयं के भीतर स,
एक बेर चुप रहै के,
प्रयाश त करू भीतर स,
लोक के चुप करेनाई बड्ड आसान छै,
स्वयं के बड्ड कठिन,
एक बेर स्वयं के पुछियौ त सही,
की सचमुच अहाँ के निक लगैया,
जहन लोक अहाँ  स डेराइया,
कही अहाँ अई भ्रम में त नै छी,
जे अहाँक धौंस स,
अहाँक कायरता झपाइया,
खुद के बुरबकी स उबरु,
आ कनि ऊपर देखियौ,
खुला आसमान,
किछ फुसफुसा क,
अहाँक कान में कहैया,
हठ छोड़ू,
दुनू हाथ फैलाऊ,
अपन ह्रदय के आकश बनाऊ,
आ सब पर अपन अमृत बरसाउ,🚩🇮🇳

कोई टिप्पणी नहीं: