चलू जंतर मंतर-मंतर देल्ही - १० मई के
10 तारीख के जंतर मंतर पर , नहिये विद्यापति समारोह छैक, नहिये विद्यापतिक बरखी आ नहिये भोज. मुदा मिथिला स्टूडेंट यूनियन तैयो बजा रहल अछि, किएक त मिथिला संगे फेरो अन्याय भेल. हमरा बुझल अछि जे तथाकथित मैथिल के एहि सं कोनो टा फर्क नहि पड़ैत छन. मुदा जौं आहां चाहैत छी जे दरभंगा-सहरसा-पूर्णिया के टॉप-100 स्मार्ट सिटी मे जगह भेटय त लड़बा लेल आबय टा पड़त नहि त फेरो पछुआ जायब हम सभ ! जे मिथिलाक विकासक गप्प करैत छथि हुनका एहि शांति-मार्च मे आबय टा पड़त नहि त आगू सं विकास पुरुष सभ अप्पन मुुंह सीबी ली. हेयौ मैथिल आबो नहि जागब त कहियो नहि जागि सकब. बेर भ गेल अछि आउ संग दी आ शंखनाद करी अप्पन अधिकारक लेल.अपन मातृभूमि के फर्ज पूरा करैक लेल -
10 मई दिन के 2 बजे जंतर-मंतर,नई दिल्ली सं 30
औरंगजेब रोड तक शांति मार्च करी आ वेंकयां
नायडू जीके ज्ञापन सौंपी अपन शहर लेल संघर्ष करी।
दरभंगा,पूर्णियां आओर सहरसा के स्मार्ट सिटी
में शामिल कराबी। जय मिथिला धाम।
सम्पर्क सूत्र : 8527972726, 956043700
औरंगजेब रोड तक शांति मार्च करी आ वेंकयां
नायडू जीके ज्ञापन सौंपी अपन शहर लेल संघर्ष करी।
दरभंगा,पूर्णियां आओर सहरसा के स्मार्ट सिटी
में शामिल कराबी। जय मिथिला धाम।
सम्पर्क सूत्र : 8527972726, 956043700
जय मैथिलि जय मिथिला
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें