dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

सोमवार, 6 अप्रैल 2015

आरे निनियाँ , अलिया-मलिया,अमरनाथ मिश्र' भटसिमरि

आरे निनियाँ ,  अलिया-मलिया,अमरनाथ मिश्र' भटसिमरि


आरे निनियाँ



आरे निनियाँ आरे

बउवा लै निन नेने

सुतु-सुतु बउवा कुकुर भुकैयै
माय एसगरुवा भानस करैयै

बाप कमउवा नोकरी करैयै
बहीन इसकुलिया स्कूल करैयै

भैया कालेजिया काँलेज करैयै
बाबा दलान पर दलान ओगरैयै

दादी आहाँलै निनियाँ बजबैयै
सुतु-सुतु बउवा कुकुर भुकैयै

चुपरे कुकुरवा आब बउवा सुतैयै


संकलन

अमरनाथ मिश्र' भटसिमरि


अलियामलिया





अलिया गे मलिया गे

गोला बरद खेत खाइ छउ गे
कत गे, डिह पर गे-2

डिहक रखबार के छउ गे
बाबा गे,   
बाबा त् गेलउ , पुरनियाँ गे -2

लाल लाल बिझिया अनतइ गे
कथी पर झमकेतै गे 

तरवे पर झमकेतै गे -2
की सब खाइ लै अनतौ गे -2

सनेस खाइ लै अनतौ गे
सब गोटे बाँइट चुटि खैहे गे -2

गे बढ़िया मौगी, बरतन सम्हारि क् रखिहैं
हमर बौआ अबै सभटा फोरैय लै


संकलन

अमरनाथ मिश्र' भटसिमरि



कोई टिप्पणी नहीं: