रांची से सुजित झा -
विद्यापति स्मिर्त दिवस पहिल दिनक रूप रेखा -
आजुक कार्यक्रम के प्रथम भाग मे उदघाटन सह सम्मान समारोह संपन्न भेल।
मुख्य अतिथि माननीय सी पी सिह(नगर विकास मंत्री) श्री राज पालिवाल(श्रम एवं प्रशिक्षण मंत्री) हटियाक बिधायक श्री नवीन जायसवाल डीआइजी श्री प्रबीण सिह जी के पाग दोपटा और स्मृति चिन्ह दय सम्मानित कैल गेलैन्ह, अपन उदगार ब्यक्त करैत श्री सी पी सिह जी पुनः दोहरेला जे मैथिली के द्वितिय राज भाषाक दर्जा यथाशिघ्र देल जायत संगे बाबा विद्यापतिक दलान के निर्माण सेहो यथाशिघ्र होइ से सुनिश्चित करी जाहि मे मंत्रीजी मदद केर घोषणा केलैन्ह।
कार्यक्रम केर द्वितिय चरण मे कविगोष्ठिक भब्य आयोजन भेल। श्री बुद्धिनाथ झा,श्री गंगेश गूँजन, श्री कमला कान्त झा,श्री जनक चौधरी, श्री मणिकान्त भाइ, श्री सियाराम झा 'सरस', श्रीमति नंदिता पाठक, राज कुमार मिश्र, श्री कृष्ण मोहन झा, अपन काव्य पाठ स मन अह्लादित कय देलैन्ह।
कार्यक्रम केर तृतिय चरण मे केवल विद्यापतिक गीत गाओल गेल , कार्यक्रम अपन रंग -मंच सं सजल रहल और दर्शक सब आनंदित होयत रहला , जतैक कलाकार आयल छथि सब दू - 2 टा क बाबा विद्यापतिक गीत गाबी दर्शक के उत्साह मनोबल आ मैथिली प्रति आकर्षित केला । गीत संगीत केर आगाज भाइ श्री कँज बिहारी मिश्र केलैन्ह तदुपरान्त श्री सुरेन्द्र यादव, श्रीमति रंजना झा, श्री नंद जी, श्री राम बाबू झा, श्रीमति कुमकुम मिश्र, रंगिली भौजी "श्री मति अंजू झा" और भाइ माधव राय बाबा विद्यापतिक गीत गौलन्हि। भाइ रामसेवक ठाकुर केर चूटिला उदघोषणाक त बाते जूनि पूछू। जकर वर्णन केनाइ हमरलग शब्द नै अच्छी , जय मैथिल - जय मिथिला

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें