dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

शुक्रवार, 13 दिसंबर 2019

#श्री_बद्री_नाथ_राय_अमात्य’क एगो नव काव्य- #मैथिल_के?


#श्री_बद्री_नाथ_राय_अमात्य’क एगो नव काव्य-  
#मैथिल_के? 





माछी मैथिल 
मच्छर मैथिल 
मैथिल मिथिलाक पवन वसात..।  
घास-पात सेहो अछि मैथिल 
काँटक सहित मखानक पात..।। 

चूरा-दही चिन्नियोँ अछि मैथिल 
तरुआ आ तिलकोरक पात। 
अँमट अँचार सेहो अछि मैथिल 
तुलसीफूल गमकौआ भात।। 

पौरुष-पाग मैथिल मिथिलाक 
मैथिल मिथिलाक अन्न जजात। 
चोटी चानन दाढ़ी मैथिल 
मिथिलानीकेँ मिलन-मिलाय।। 

चौरचन मैथिल अदरा मैथिल 
मरुआ मैथिल पान-मखान। 
हमर विवाहक पद्धति मैथिल 
विद्यापति केर गीतक तान।। 

लगनी मैथिल झिझिआ मैथिल 
मैथिल मिथिलाक कन्यादान। 
बाट चलैत बटगवनी मैथिल 
मैथिल उगल कोजगरा चान।। 

मुङ्गरी माछक महँको मैथिल 
मैथिल हमर बलचनमा।   
ललचनमा सेहो अछि मैथिल  
मैथिल हमर ललनामाँ।। 

धनिकलाल मण्डलक मिथिला 
मिथिला अछि सलहेसक। 
सभसँ सुन्दर, रसगर 
मीठगर भाषा हमरे देशक।। 

संस्कार संस्कृति मैथिल 
मैथिल हमर प्रकृति। 
हमर रजोखैर पोखैर मैथिल 
हमर महीपक कृति।। 

माछी मैथिल 
मच्छर मैथिल 
मैथिल मिथिलाक पवन वसात..।  
घास-पात सेहो अछि मैथिल 
काँटक सहित मखानक पात..।।  

© बद्री नाथ राय ‘अमात्य’ 
ग्राम+पोस्ट : करमौली 
भाया : कलुआही 
जिला : मधुबनी (बिहार) 
मो. ७६३१६३८१८५






                   


कोई टिप्पणी नहीं: