dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

गुरुवार, 17 फ़रवरी 2011

अभय कान्त झा दीपराज के मैथिली गीत

अभय कान्त झा दीपराज के मैथिली गीत क्रमांक-

                भगवती के गीत
 
अवलम्ब  अहीं  हे  जगदम्बा,  माँ,  संतानक   दुःख  दूर    करू |
बल,  बुद्धि,  विवेक,  ज्ञान  और धन  सँ  कोष हमर भरपूर करू ||

अहाँ माता छी, हम शिशु अबोध, नहीं कोप अहाँ के, सहि पायब |
जौं   कष्ट   सतओत   मोन   हमर,   माँ,   अहीं   के   गोहरायब ||
रक्षक   बनि   रक्षा   करू   हमर,   नहिं   ऐना   कष्ट  सँ चूर करू |
अवलम्ब  अहीं   हे  जगदम्बा,  माँ,  संतानक   दुःख   दूर   करू ||१ ||

बनि   बेटी   आँगन   में   खेलाउ, बनि  पुत्र  बनू  कुल  के गौरव |
जों   हाथ   अहाँ   के   माथ   रहत, संसार   व्यूह  के  हम तोड़व ||
माता  बनि  क  हे  जगजननी, जीवन   में   सौम्य - सुरूर   भरू |
बल,  बुद्धि,  विवेक,  ज्ञान  और   धन  सँ  कोष हमर भरपूर करू ||२ ||

कर्त्तव्य   धर्म   निर्वाह   करी, बनि   पुत्र   अहाँ   के   चरण  गही |
छाया   में   अहीं   के  जीवन - धन  के  भोगी, अहींक शरण रही ||
एहि  तरहक  सौम्य  स्वभाव दिअ, अभिमान  सँ  ने मगरूर करू |
अवलम्ब   अहीं   हे  जगदम्बा,  माँ,  संतानक   दुःख   दूर   करू ||३ ||

संकट   सँ   हमर   उबार   करू,   दुर्गा    बनि   हमरो   दुर्ग   बनूँ |
जग के  अहाँ कारण - तारण  छी, अहीं नाव  के  अब पतवार बनूँ ||
अब  द्वार  कतय  हम  जाई  जतय, अहीं  हमरा  अब  मंजूर  करू |
बल,  बुद्धि,  विवेक,  ज्ञान   और   धन  सँ  कोष  हमर भरपूर करू ||४ ||

हम  थाकि  गेलौं, भटकैत- भटकैत,  जग के जंजाल - जाल में माँ |
नहिं   कोनो   साथी, संबंधी   अछि, हमर  अब  एहि हाल में, माँ ||
बड़  कष्ट  उठोलौं   हे  अम्बा, बस , और   ने   अब  मजबूर   करू |
अवलम्ब  अहीं   हे  जगदम्बा,  माँ,  संतानक   दुःख    दूर   करू ||५ ||

अवलम्ब  अहीं  हे जगदम्बा,  माँ,  संतानक   दुःख   दूर   करू |
बल,  बुद्धि,  विवेक,  ज्ञान  और धन  सँ  कोष हमर भरपूर करू ||



                       रचनाकार - अभय दीपराज
 

कोई टिप्पणी नहीं: