dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

मंगलवार, 22 नवंबर 2016

मैथिल मंच द्वारा मिथिला चौक कनाट प्लेस पर बैसार


Mani Bhushan Raju
नमस्कार मैथिलजन,
दिनांक 20 नवंबर 2016 के नई दिल्ली के कनाट प्लेस के मिथिला चौक पर युवा मैथिल विजय झा, बैजू ठाकुर आ मोहनराज झाजी के प्रयास सँ श्री रामबाबू सिंहजी के अध्यक्षता में दिल्ली -NCR के युवा मैथिल के बैसार सम्पन्न भेल। बैसार में दिल्ली- NCR के 15 टा मैथिल संस्था सँ 35 युवा मैथिल उपस्थित भेलाह आ एकस्वर में मिथिला आँदोलन लेल अपन प्रतिबद्धता लेल प्रण कयलनि।
उपस्थित मैथिलजन के सूची अछि :-
श्री रामबाबू सिंह , श्री मोहन राज झा , श्री बैजू ठाकुर , श्री विजय कुमार झा, श्री रंजीत लाल दास , श्री बीरबल यादव, ABMP
श्री आनंद झा, ABMP ,श्री मुरारी मैथिल, ABMP , श्री रोहित यादव, ABMP , श्री निशांत कुमार झा, श्री दीपक कुमार चौधरी , रेवती  रमण झा, श्री मदन कुमार ठाकुर   D M M ,  श्री अमलेश मंडल,  मोहम्मद अफजल रजा,  श्री शरत झा, राष्ट्रीय संयोजक मिरानिसे, श्री नीरज पाठक, श्री पंकज प्रसून,श्री गोविंद झा ,  श्री शंकर झा, श्री अरविंद झा, श्री यदुवीर यादव ,श्री संतकुमार यादव , श्री विजय यादव,  श्री विजय यादव , श्री ललित कुमार , श्री अजीत यादव, श्री पंकज झा, ,श्री पप्पू कुमार, श्री अमित कुमार ,श्री सोनू कुमार , श्री विद्या कुमार,श्री आलोक कुमार , श्री राजेश झा ,श्री मणिभूषण झा 'राजू' , 
आयोजन के सबसँ पैघ चमक छल श्री रेवती रमण झाजी के उपस्थिति जहि सँ कार्यक्रम में विशेष आकर्षण बनल । सबगोटे अपन-अपन विचार रखला आ किछु विंदु पर सबकियो सहमति देलनि। मिथिला एकीकरण के जे एखन निजी प्रयास सब विभिन्न स्रोत वा संस्था सँ चलि रहल अछि ओहि के सामूहिक रुप सँ करबाक लेल प्रस्ताव पर विचार भेल, सर्व-वर्ण आ सर्व-धर्म के लोकक संग लय क । मोहनराज झा, रोहित यादव, बीरबल यादव, आनंद झा, गोविंद झा, नीरज झा, नीरज पाठकजी, पंकज प्रसूनजी संग सब लोक अपन-अपन विचार रखलनि आ अंत में श्री शरत झाजी अपन संक्षिप्त वक्तव्य में एहि प्रयास के प्रोत्साहना कयलनि आ अपन मार्गदर्शन संगहि अपन सतत सहयोग के आश्वाशन देलनि ।



   मिथिला एकीकरण लेल घर-घर तक पहुँचकय लोक के जोड़य के आ जे मैथिल जहि तरहे सहयोग कय सकैथ हुनका संग लय चलय के निर्णय भेल।

.

      कार्यक्रम के अंत में "मैथिल मंच" द्वारा विचार देल गेल जे एकटा "युवा मैथिल सम्मेलन" के आयोजन कय आजुक एहि प्रयास के राष्ट्रीय स्तर पर विस्तार कयल जाए । सर्वसम्मति सँ निर्णय भेल जे 22 जनवरी 2017 के एकटा "युवा मैथिल सम्मेलन" के आयोजन कयल जायत "मैथिल मंच" के संयोजन में, आयोजन स्थल के सूचना जल्दिए करब ।
.
.
जय मिथिला
जय जय मैथिल
www.maithilmanch.com

कोई टिप्पणी नहीं: