Dr. Kailash Kumar Mishra --
जॉर्ज वाशिंगटन संयुक्त राष्ट्र अमेरिका केर पहिल राष्ट्रपति छलाह. हुनकर ख्याति प्रबुद्ध आ रोमांचकारी वक्ता के रूप में छलनि. अमेरिका केर स्वतंत्रता संग्राम केर समय में अपन एक पैघ जनसभा के सम्बोधित करैत वो बजला: “ दुनिया में अगर सब स अधिक बलिप्रदान कुनो देवी लैत छथि त ओ थिकी स्वतंत्रता केर देवी.” दरभंगा में MSU के सेनानी लोकनि संग जे ४ मई २०१६ में घटना घटित भेल अछि ओ अतए केर शांतिप्रिय लोकनि के क्रांतिसिनेही बनेबाक लेल जोरन जरुर बनि चुकल अछि. गाछ भले नही भेल हो बीयाक रोपण भ चुकल अछि. धरती सदरिकाल बीयाके सम्पूर्ण बनबैत आयलि छथि. अहू क्षण में करती.
हम बिहार पुलिस, स्थानीय प्रशासन आ अन्ततः मुख्यमंत्री श्री नितीश कुमार केर व्यवहार स छुब्ध छी. इ सब अपन अमानवीय व्यवहार आ छूछ अहंकार केर प्रदर्शन केलनि अछि.
एक बहुत पैघ कार्यक प्रारंभ भ चुकल अछि. युवा सब आब अति उत्साहित छथि. मरबा, मिटबा लेल तत्पर छथि. सब क्रन्तिकारी खास क सागर नवदिया, बिमल मैथिल, अमित सिंह, नीरज शेखर, नितीश कश्यप, एवं एक महाविरंगना निकिता गुप्ता आब हमरा लोकनिक जन नायक छथि. रोल मॉडल छथि. घनघोर अन्हार में सुरुज केर इजोत छथि. इ घटना मिथिला केर विकास लेल करू वा मरू केर मूल मन्त्र केर निर्माण केलक अछि. मन्त्र सिद्ध भ चुकल अछि.
इ घटना एक आरो कृतिमान लेल जानल जायत. एहि घटना के तमाम ग्रुप आ व्यक्ति निंदा केलनि अछि. एहि प्रकारे इ घटना सब के जोड़े केर कार्य केलक अछि. मिथिला स्टूडेंट यूनियन केर सेनानी के सब ग्रुप के प्रति अपन कृतज्ञता अवश्य व्यक्त करक चाही. तमाम योद्धा के हमर विनम्र नमन.
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें