dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

मंगलवार, 12 अक्तूबर 2010

करब नै हम नेतागिरी रोजगार

    
 यो बाबु    करब नै,
                हम  नेतागिरी  रोजगार --
लोग कहैत अछि--
  छी  मतलबी दुनियां ,
कम काज पर नै कोनो  विचार
लुट - माइर में सब  से आगू ,
अपना के कहैत  अछि  होशियार
यो बाबु    करब नै ,
             हम  नेतागिरी  रोजगार --

अपन  जिनगी  के शर्थक बुझायथ
गरीब  जिनगी  के नै  कोनो  उपचार  ,
भोट मंगैय लेल  दउर - दउर आबैथी
 आ काज परलैन त  नै कोनो  सरोकार ,
यो बाबु    करब नै ,
                हम  नेतागिरी  रोजगार --
खन दरिभंगा  खन मधुबनी
सब दिन भागैथी  बिधान सभा के द्वार ,
खेती  - बारी के देखैत  अछि ,
जोन- हरवाह के  कतेक  उपकार
यो बाबु    करब नै ,
                हम  नेतागिरी  रोजगार --
रेडियो  टी वी  सब दिन  कहिया
नेता लोकिन  नै  केलेन परोपकार  ,
अपन पेटक रोजी - रोटी लै
हरदम  उठेलैन अपन  ललकार  ,
यो बाबु    करब नै ,
                हम  नेतागिरी  रोजगार --


  लेखक   --
 मदन  कुमार ठाकुर
पट्टीटोल , भैरब  स्थान ,
झंझारपुर , मधुबनी , बिहार

कोई टिप्पणी नहीं: