dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

गुरुवार, 15 अप्रैल 2021

जुड़-शीतल-गीत

 जुड़-शीतल

जुड़-शीतलमे जीवन जुड़ा लिअ यौ

जुड़-शीतलमे जीवन॥

साल नव मैथिलीक शुभागमन भेलै

नूतन नवल रुप  सगरो जहान भेलै

स्वागत सम्मान मान राखि लिअ यौ

पूत मिथिलाक नन्दन॥

तरुवरमे द्रुमदल  सेहो जुआन भेलै

नव अन्न दलहन आँगन-दलान एलै

शीतल सातुकेँ शर्बत बना लिअ यौ

खूब तिरपित रहत मन ॥

ताजा-बसियाकेँ भोजन विधान भेलै

बेसनकेँ फेँटि  बड़-बड़ी  बनौल गेलै

आम टिकुलाक चटनी बना लिअ यौ

भोग स्वादिष्ट भोजन॥

गाम-घर पोखैर, इनारो सफाई भेलै

तुरियाक संग थाल-कादो लेपाइ भेलै

प्रेम चासैत-समारैत-गजारि लिअ यौ

गीत गाबय मगन मन॥

बाँसक दू खुट्टा पर बल्ली लगौल गेलै

तुलसीचौड़ामे पानिसल्ला बनौल गेलै

देव-पितरकेँ अछिंजल चढ़ा लिअ यौ

रहब सानन्द जीवन॥

जुड़-शीतलमे जीवन जुड़ा लिअ यौ

जुड़-शीतलमे जीवन॥

           *****

जुड़-शीतलक हार्दिक शुभकामनाक संग विनय कुमार ठाकुर (ठाकुर परिवार )

3 टिप्‍पणियां:

Simran Sharma ने कहा…

Wow this is aweosme and detailed post. Thank you so much for sharing this valuable post with us. This is awesome life quotes telugu.

Ankit ने कहा…

आपने बहुत अच्छी पोस्ट लिखी है. ऐसे ही आप अपनी कलम को चलाते रहे. Ankit Badigar की तरफ से धन्यवाद.

Simran Sharma ने कहा…

This is really fantastic website list and I have bookmark you site to come again and again. Thank you so much for sharing this with us. Please also read our stubborn quotes
ignoring quotes
indirect love quotes
sanskrit quotes