सोमवार, 11 दिसंबर 2017

भगवान

हे "भगवान", करू कल्याण
नाम'क जल्दी हो समाधान


'मिथिला' पेंटिंग हमर शान
'मधुबनी' सँ अछि पहचान
दुनु अछि मैथिल केर आन
फेर किया भेल छि परेशान
हे "भगवान", करू कल्याण

जँ इच्छा बढि जाय सम्मान
त'अ एतबे राखै जाऊ ध्यान
हरेक बाजार में होई 'दुकान'
"पेंटिंग" भेटए जाहि 'स्थान'
हे "भगवान", करू कल्याण

मुदा छोरि क ओकर ध्यान
नाम के ल करि खींचातान
सब अपने छी कोई नै आन
मिल बढाबि 'मिथिला' मान
हे "भगवान", करू कल्याण

"देव"क अछि अनुपम बरदान
'पेंटिंग' केर विश्व स्तर पहचान
हमरा सबहक अछि अरमान
सबके घर में ई होइ बिद्यमान
हे "भगवान", करू 'कल्याण'
रचनाकार -

Mahadev Mandal
11/12/2017

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें