शनिवार, 8 अगस्त 2015

केना देश महान हेतैय


ज छोट छोट सन बातके ल क,
रोजे नया बबाल हेतैय।
आतंकवादी के फाँसी यो पर जॅ,
अना नित नया सवाल हेतैय।।
फेर केना देश महान हेतैय!!
बाजल जॅ किछु साहरुख सलमान,
ओहु पर अना घमासान हेतैय।
सर्वोच्च न्यायालय क फैसला पर जॅ,
परैत केकरो शकक निगाह हेतैय।।
फेर केना देश महान हेतैय!!
जॅ निरथ॔क बातचीत मे,
सबहक समय बर्बाद हेतैय।
फेसबुक आ वाटसाॅप पर,
हिन्दू मुस्लिम मे गाईरम गाईर हेतैय।।
फेर केना देश महान हेतैय!!
"छी कियो हिन्दू छी कियो मुस्लिम,
राष्ट्र धम॔ के मान करू।
निरदोषक जे प्राण हरैया,
उकरा नहि छमादान करु।
नाम आतंक जेकर कोनो धम॔ नहि,
सब मिली ऐकर नीदान करु।"
राजनीति मे जॅ तुचछ बिचार हेतैय।।
फेर केना देश महान हेतैय!!

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें