शनिवार, 9 मई 2015

मातृत्व दिवस पर





















 मातृत्व दिवस पर
हम मैथिल मिथिलाक बात 
मैथिली में करबे टा करबै
मातृभाषाक गुमान बढ़ायब
मायक सेवा करबे टा करबै !

कतेक चैन सुकून कतेक छल
मायक कोड़ा वैसबे टा करबै
मातृभूमिक सम्मान बढ़ायब
मायक पूजा करबे टा करबै !!

आइ हमर मातृत्व दिवस अछि 
ममताक लाज रखबे टा करबै
मधुर सरस मिठ वाणी भेटल
मायक गुण हम गेबे टा करबै !!!

अमरनाथ मिश्र
भटसिमरि 

  जय मिथिला जयति मैथिली







MOTHER'S DAY 

पर किछु पद्य पुष्प पद अर्पण

मायक मान माथक चन्दन
शीश नवाउ करू नित वंदन 
वांछा मंगल संतानक सदिखन
निहुँछैथ नजरि कबुला तत्क्षण 
माइए स्वर्ग तप  कर्म
वएह छथि देवी संतानक धर्म 
माता मुदित सभ देव प्रशन्न
बुझू भेल जीवन यज्ञ सम्पन्न 
हो स्थिति विषम  मंदिर दूर
नहि थारी अक्षत पान सिनूर 
आने चानन पान कपूर 
करू मातक वंदन सेवा भरपूर 
हो मन मे सेवा आडम्बर सॅ दूर
बुझू कटल सभ कष्ट कुसूर 
मायक मान माथक चन्दन
शीश नवाउ करू नित वंदन 

सादर : महेश झा 

 डखरामी 


1 टिप्पणी: