सोमवार, 11 अक्तूबर 2010

आब कहू कतय गेल रोजगार




मदन कुमार ठाकुर
ग्राम/पोस्ट- कोठिया पट्टीटोल
 झंझारपुर , मधुबनी ,
बिहार ( 847404)
mo -91-9312460150


छी गरिब निर्धन के घर सं
आशा भेटल कतेको हजार ,
नही अहि फंड त अगिला फंड में
बढिक घर खसी केर कतेक इंतजार ,,
आब कहू यो बीडियो सहिब
कतय गेल इंदरा आबस अधिकार ?
आरीये - धुरे चलिते फिरते
खसैत - परैत भेलो लाचार ,
अहि गाम से ओही गाम धरी
कतोउ नही भेटल सरक शुधार ,,
आब कहू यो डी एम् साहिब
कतय गेल प्रधानमंत्री योजना अधिकार ?
टी वी , रेडियो सब दिन सुनलो
होयत जगत में शिक्षा केर पहचान ,
स्कुल कालेज सब दिने देखय छि
मास्टर नहीं त बिद्दार्थी शुने मशान ,,
आब कहू यो केंद्र सरकार
कतय गेल ई सर्व शिक्षा अभियान अधिकार ?
सब दिन भगलो पटना दिल्ली
गाम घर से भेलो लाचार ,
जायत -जायत दरभंगा , मधुबनी
कतेको बुजुर्गो केलानी सिधार ,,
आब कहू यो स्वास्थ विभाग
कतय गेल स्वास्थ पंचायत समिति अधिकार ?
रौदी - दाही साले - साले
पेट से भूखल रहल परिवार ,
घुस खोरी बैमानी के चकर
सब दिन चलल ई रोजगार ,,
आब कहू यो ग्राम सेबक जी
कतय गेल अन्तोदय अनपुर्ना अधिकार ?
चोरी - डकैती बाटे घाटे
अपहरण देखै छी बिच बाजार ,
रंगदारी आ टेक्स वसूली
गामे - गामे चलैया ई रोजगार ,,
आब कहू यो कमिशनर साहब
कतय गेल क़ानून अधिकार ?

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें