गुरुवार, 29 नवंबर 2018

विद्यापति समारोहक सभजाना हकार:( दिनांक ०१ दिसम्बर २०१८ )

विद्यापति समारोहक सभजाना हकार:



मिथिला सेवा संघ, जैतपुर, बदरपुर, दिल्ली द्वारा आयोजित विद्यापति स्मृति पर्व समारोह दिनांक ०१ दिसम्बर २०१८ (शनिदिन) साँझमे सात बजेसँ अहोरात्रिक आयोजनमे समस्त वन्धु-वान्धवकेँ हार्दिक अभिनन्दन आ सभजाना हकार अछि। एहि कार्यक्रममे विद्यापति गीत, मैथिली पारंपरिक गीतनाद, मैथिली लोक नृत्य, गीत मिथिलाक चिर परिचित कलाकार श्री कुंज विहारी मिश्र, श्रीमती रंजना झा, श्री विकास झा आ अन्य कलाकारक संग मंच संचालन सदावहार श्री राधे भाई संचालित करताह। एहि अवसर पर #िथिला #गृह #उद्योग द्वारा प्रदर्शिनी स्टाॉल आओर मैथिली पुस्तक केंद्र, गोशाला रोड, मधुबनी द्वारा #मैथिली #पुस्तक #प्रदर्शनी सेहो उपलब्ध रहत।
अपने समस्त वन्धु-वान्धवसँ आग्रह जे एहि कार्यक्रममे सपरिवार उपस्थित भय कार्यक्रमकेँ सफल बनाबी। सभगोटेकेँ हार्दिक अभिनन्दन अछि। जय मिथिला जयति मैथिली।
स्थान : एन.टी.पी.सी. पार्क, खड्डा कालोनी,
जैतपुर, बदरपुर, दिल्ली - ११००४४
मोबाइल - +91-9810057961

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें