बुधवार, 16 मार्च 2016

अन्तरराष्ट्रीय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष मांग केलनि -मधुबनी आ झंझारपुर मे केन्द्रिय विद्यालय

मंगल वार १५/०३/२०१६  के भाजपा केन्द्रिय कार्यालय मे अन्तरराष्ट्रीय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष समितिक एकटा प्रतिनिधिमंडल मानव संसाधन विकास मंत्री श्रीमती स्मृति ईरानीजी सँ भेंट क के मिथिलाक मधुबनी आ झंझारपुर मे केन्द्रिय विद्यालय अतिशीघ्र खोलबाक मांग केलनि संगहि कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय के केन्द्रिय विश्वविद्यालय के मान्यता देबाक सेहो मांग कयल गेल।
 उपरोक्त दुनू मांगपर संज्ञान लैत माननीया मंत्रीजी कहलनि जे जँ बिहार सरकार एहि दुनू मांग पर विचार करैत अनुशंसा करत त केनद्र सरकार अतिशीघ्र एहि दुनू मांग के निश्चित पूरा करत। चूँकि ई मामला राज्य सरकारक अनुशंसापर निर्भर करैत अछि अस्तु राज्य सरकारक अनुशंसा आवश्यक अछि। आब हमर संस्था पटनामे राज्य सरकारपर एहि लेल दबाव बनायत आ एहिलेल एकटा शिष्टमंडल शीघ्रहि पटना जायत। प्रतिनिधिमंडलमे राष्ट्रीय अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा, उपाध्यक्ष डॉ सतीशचन्द्र झा, महासचिव प्रेमचन्द्र झा आ सचिव अनिल कुमार झा छला। जय मिथिला जय मैथिली।

1 टिप्पणी:

  1. मिथिलान्चलक एकटा पैघ समस्या छैक बढिया स्कूलक अभाव । घनीजन अपन नाम पर मंदिर बनैबाक स्थान पर विद्याक मंदिर बनेबाक संक्लप लैथ त छेत्रक उद्धार निश्चित बुझु।मिथिला परिषदक अहि कार्यक जतेक पर्संसा कैल जाय कम छैक।

    जवाब देंहटाएं