शनिवार, 26 मार्च 2016

मिथिला राज्य निर्माणक लेल 26-27 मार्च 2016 दिल्लीक जंतर-मंतर पर २ दिनक उपवास

मिथिला राज्य निर्माणक लेल 26-27 मार्च 2016 दिल्लीक जंतर-मंतर पर 
२ दिनक उपवास .... 


  मिथिलाक ऐतिहासिकताक संग भेल अन्याय के प्रतिकार अछि मिथिला राज्य निर्माणक मांग...   

  छः करोड़ मिथिलावासीक सम्माऩ अछि अप्पन मिथिलाक पुनरोत्थान... गरीबी, बेकारी - बेरोजगारी, उद्योगविहीनता, बाढि-रौदी व सरकारी उदासीनताक समाधान अछि पृथक मिथिलाक स्थापना... जातिवादिताक मकड़जाल मे फसाओल गेल मिथिला समाजक एकसूत्रताक ऐलान अछि विश्वप्रसिद्ध मिथिलाक पुनर्गठन ।

अपने समस्त मिथिलावासीक
उपस्थितिक आकांक्षी .......
उपवासकर्त्ता :- मनोज झा ,
मिथिला राज्य आंदोलनकारी
8750605079

बुधवार, 16 मार्च 2016

अन्तरराष्ट्रीय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष मांग केलनि -मधुबनी आ झंझारपुर मे केन्द्रिय विद्यालय

मंगल वार १५/०३/२०१६  के भाजपा केन्द्रिय कार्यालय मे अन्तरराष्ट्रीय मैथिली परिषद तथा मिथिला राज्य संघर्ष समितिक एकटा प्रतिनिधिमंडल मानव संसाधन विकास मंत्री श्रीमती स्मृति ईरानीजी सँ भेंट क के मिथिलाक मधुबनी आ झंझारपुर मे केन्द्रिय विद्यालय अतिशीघ्र खोलबाक मांग केलनि संगहि कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय के केन्द्रिय विश्वविद्यालय के मान्यता देबाक सेहो मांग कयल गेल।
 उपरोक्त दुनू मांगपर संज्ञान लैत माननीया मंत्रीजी कहलनि जे जँ बिहार सरकार एहि दुनू मांग पर विचार करैत अनुशंसा करत त केनद्र सरकार अतिशीघ्र एहि दुनू मांग के निश्चित पूरा करत। चूँकि ई मामला राज्य सरकारक अनुशंसापर निर्भर करैत अछि अस्तु राज्य सरकारक अनुशंसा आवश्यक अछि। आब हमर संस्था पटनामे राज्य सरकारपर एहि लेल दबाव बनायत आ एहिलेल एकटा शिष्टमंडल शीघ्रहि पटना जायत। प्रतिनिधिमंडलमे राष्ट्रीय अध्यक्ष शैलेन्द्र मिश्रा, उपाध्यक्ष डॉ सतीशचन्द्र झा, महासचिव प्रेमचन्द्र झा आ सचिव अनिल कुमार झा छला। जय मिथिला जय मैथिली।