शुक्रवार, 17 अक्तूबर 2014

दसा

'दसा

उज्जर केश उज्जर पनही,
उज्जर वेश उज्जर कंगही |
बयस पचपन मोन जुआन ,
राखी अप्पन दसाक ध्यान ।
ऊठी कत्तय बैसी कत्तय,
बाजी कक्खन मुस्की कत्तय|
एक्कर सदिखन रहय ज्ञान ,
राखी अप्पन दसाक ध्यान ।
उमर उत्तर भेला पचास ,
जीभ 'जोरक' नै दास खबास |
बांचत तक्खने प्रौढक मान,
राखी अप्पन दसाक ध्यान ।
पहिरी केहेन कपड़ा लत्ता ,
आबो छोडू अहंगक सत्ता  |
सम्भव तक्खने सुभग सम्मान,
राखी अप्पन दसाक ध्यान ।
देखू , भोरे द'र दलान ,
सम्भव सेवा सालिगराम |
भजन कीर्तन सीताराम ,
राखी अप्पन दसाक ध्यान ।

सादर : महेश झा 'डखरामी'

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें