रविवार, 2 मार्च 2014


Mithila Rajya
गे मैया!
कहिया बनतै मिथिला राज्य?
जहिया बनतै मिथिला राज्य,
सभके भेटतै अपन काज ।।
सभके भेटतै अपन काज,
नहि केयो जेतहि दोसर राज्य ।।
 नहि केयो जेतहि दोसर राज्य,
सभ केयो रहतै अपने गाम ।।
सभ केयो रहतै अपने गाम,
सभक उन्नति सभक सम्मान ।।
सभक उन्नति सभक सम्मान,
तहने बनतै मिथिला महान ।।..
जय जय मिथिला!
 जय मिथिला राज्य आन्दोलन!!
  :गणेश  कुमार झा "बावरा "

1 टिप्पणी:

  1. बहुत सुन्दर ,हम त अहि भावक समर्थन कृते छी .आ सब मैथिल क मोन में येह विचार होनि..हमर शुभ कामना .

    जवाब देंहटाएं