dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

मंगलवार, 15 दिसंबर 2015

नागदह , मधुबनी में विद्यापति स्मृति पर्व समारोह संपन्न

संजय झा "नागदह " : मधुबनी जिलाक नागदह गाम में द्विदिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व समारोह आ सांस्कृति कार्यक्रम विगत 12 आ 13 दिसम्बर क'  पूर्ण विद्यापति पर ध्यानाकर्षित करैत भव्यताक संग सम्पूर्ण भेल। कार्यक्रमक उद्घाटन मुख्य अतिथि विधान पार्षद श्री रामप्रीत पासवान, बेनिपट्टिक पूर्व विधायक श्री विनोद नारायण झा संयुक्त रूप सँ दीप प्रज्वलित कए केलनि।  तदोपरान्त मिथिलाक सुप्रसिद्ध स्वनामधन्य स्वर कोकिल श्री कुँज  बिहारी मिश्र पारम्परिक गीत जय - जय भैरव , मंगलाचरण और स्वागत गीत सँ कार्यक्रमक शुभारम्भ कयलन्हि। एकर पश्चात मुख्य अतिथि ओ अन्य अतिथि लोकनि केँ पाग - दोपटा इत्यादि सँ स्वागत कएल गेलन्हि। एहि ठाम पारम्परिक रूपेँ सब साल एक प्रसिद्द व्यक्ति केँ सम्मान देल जाइत छलनि मुदा इ समारोह में बहुत बेसी अन्तराल भ गेलैक। वर्ष 1989  के आस - पास धरि प्रायः विद्यापति स्मृति पर्व मनायल जाएल करैत छल मुदा कालक एहन चक्र चलल जाहि सँ  इ कार्यक्रम में बड्ड बेसी अन्तराल भ गेल।  वर्ष 2013 में 25 दिसम्बर क' बिना कोनो आडम्बर के स्वर्गीय नृपेंद्र झाजिक संयोजन में "डॉ सुभद्रा झा विद्यापति विचार मंच " के नाम सँ पुनः शुरुआत कएल गेल मुदा तैयो 2014 में नहि  भ सकल कारन हुनक आकस्मिक निधन भ गेल। ओहि पुरान विचार केँ ध्यान रखैत एहि बेर श्री कुँज  बिहारी मिश्र  जीकेँ हुनक कैसेट "राम विवाह" गीत के लेल जे मिथिलाक सब वर्ग आ वर्णक लोक सब दिन आ खास क' विवाह इत्यादि में सुनल करैत अछि आ मिथिला में एहि  गीतक खूब प्रसंसा होइत अछि  ताहि लेल हुनका एहि मंच सँ "मिथिला गीत मार्तण्ड" सम्मान सँ  सम्मानित कएल गेलन्हि। 12 दिसम्बर क कार्यक्रम तीन चरन  में छल पहिल चरन  में उद्घाटन , स्वागत आ विद्वत जनक विचार दोसर चरण  में  कवि सम्मलेन आ तेसर चरन  में श्री महेंद्र  मलंगिया जीक लिखल नाटक "छुतहा घैल " क मंचन।

पहिल चरण में पूर्व विधायक श्री विनोद नारायण झा विद्यापतिक जीक मिथिला - मैथिलीक लेल कतेको योगदान पर विस्तृत  ध्यानाकर्षित करौलाह।  तकरबाद श्री रामप्रीत  पासवान जी , मिथिला विश्वविद्यालयक प्रोफ़ेसर श्री फूलधारी सिंह प्रभाकर अपन अभिभाषण में कहलाह जे प्राप्त अभिलेख के अनुसार विद्यापतिक अवसान 94 वर्षक आयु में भेलन्हि।  पूर्व जिला परिषद अध्यक्ष श्री शतीश चन्द्र झा जी , कांग्रेस जिला अध्यक्ष श्री शीतलाम्बर झा , ए० आई० एस० एफ० राज्य सचिव श्री विजय मिश्र जी अपन विचार रखैत कहलाह जे मिथिला - मैथिलीक प्रति चिंतन सिर्फ विद्यापति स्मृति समारोह में कएला सँ  कोनो विशेष लाभ नहि बुझना जाइछ अपितु एहि लेल सब वर्गक - वर्णक लोक  आगा बढ़ि ध्यान देथु आ अपना - अपना बाल - बच्चा के मिथिला - मैथिलीक बोली, लिपिक संग संस्कार सँ  सेहओ  सिंचथि ।  प्रसिद्द साहित्यकार श्री उदय चन्द्र झा "विनोद" जी , आ कार्यक्रमक अध्यक्ष , साहित्यकार, मिथिलाक गौरव , स्वनामधन्य नागदह जिनक जन्म डॉ श्री बुद्धिनाथ झा सेहओ अपन विचार एहि मंच के मादे परसलाह।

दोसर चरन  में कवि सम्मलेन छल जाहि में करीब बीसो टा कवि लोकनि भाग लेने छलाह जकर संचालनक जिम्मा कवि श्री अजीत आजाद जीकेँ छलनि। एहि कवि गोष्ठी में काव्य धारा देखिते आ सुनिते बनैत छल।  अजीत आजाद जीक कविता डिगडियीया बजबअ दे रे डिगडियीया बजबअ दे दर्शक लोकनि के खूब पसिन अयलन्हि। ओना त सब कियो एक पर एक छलाह जेना कवि श्री अर्जुन कविराज जी , श्री उदय चन्द्र झा "विनोद" , श्री बौआ झा , श्री बुद्धिनाथ झा आ अन्य।
तेसर चरन राति  करीब 9 बजे सँ  श्री महेंद्र मलंगिया जीक लिखल नाटक "छुतहा घैल" क मंचन प्रारम्भ भेल।  एहि  नाटक के मंचन शिक्षक श्री नन्द कुमार
झा जीक निर्देशन में कएल गेल।  जाहि में कलाकार में भाग लेने छलाह विद्यानंद झा (विनय झा ) , भास्कर मिश्र , हर्षू  झा, रंजीत  झा, टेकन झा, रतन झा, सरोज झा, भगवान झा, चन्दन झा, अमित झा, भालचंद्र झा आ नवल मिश्र।
 दोसर दिन अर्थात  13 दिसम्बर क राति में सांस्कृति कार्यक्रमक आयोजन छल ।  पूर्व विधायक श्री विनोद नारायण झा जी एहि कार्यक्रमक सेहओ उदघाटन केलाह आ तकर वाद सांस्कृति कार्यक्रम राति भरि चलल।  एहि कार्यक्रम में मुख्य रूप सँ  श्री कुञ्ज बिहारी मिश्र , श्री राम बाबू झा , सुरेश - पंकज , नन्द जी, राजनिति  रंजन , पूनम मिश्रा, पुष्कर भारती, दुर्गा नाथ झा हास्य कलाकार राम सेवक ठाकुर छलाह जे दर्शक लोकनि केँ  भरो राति बिना रस्सिक बान्हि रखने छलाह आ कतेको गामक लोक केँ अपन मिठगर , रमनगर गीत सँ आनन्दित कएलन्हि।  नृत्य कलाकार  अजय आ नीलू सेहओ नेपान सँ आयल छलीह जिनका दर्शक लोकनि सँ  खूब यश प्राप्त भेलन्हि। गायक लोकनि के म्यूजिक देलखिन राजनिति  रंजन जीकेँ टीम जाहि में ध्रुव नारायण , राम आशीष , विपिन जी , रणजीत , दीपक आ अशोक छलाह।
कार्यक्रमक मुख्य संयोजक  श्री भास्कर मिश्र छलाह जाहि में समस्त ग्रामीण गाम सँ बाहर धरिक पूर्ण सहयोग प्राप्त छलनि  आ कहला जे प्रयास रहत जे इ कार्यक्रम में निरंतरता बनल रहय ताहि लेल हम समस्त ग्रामीणक संग प्रयासरत रहब।    कार्यक्रम के अन्त में कार्यक्रमक अध्यक्ष श्री कृषदेव झा अपन शव्द रखैत धन्यवाद ज्ञापन केलन्हि।






कोई टिप्पणी नहीं: